(Go: >> BACK << -|- >> HOME <<)

सामग्री पर जाएँ

प्रयागराज जिला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(इलाहाबाद जिलासँ पुनर्निर्देशित)
प्रयागराज
प्रयागराजक उत्तर प्रदेशमे स्थानक अवस्थिति
प्रयागराजक उत्तर प्रदेशमे स्थान
देशभारत
राज्यउत्तर प्रदेश
प्रशासनिक विभागप्रयागराज मण्डल
मुख्यालयप्रयागराज
तहसील
सरकार
 • लोकसभा क्षेत्रप्रयागराज, फूलपुर
क्षेत्रफल
 • कूल५४८२ किमी (२११७ वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या
 (२०११)
 • कूल५९५९७९८
 • घनत्व११००/वर्ग किमी (२८००/वर्ग माइल)
जनसाङ्ख्यिकी
 • साक्षरता७४.४१ %
 • लिङ्गानुपात९०१
प्रमुख राजमार्गNH 2
वेबसाइटसरकारी वेबसाइट

प्रयागराज जिला भारतक राज्य उत्तर प्रदेशक एकटा प्रमुख आर सभसँ पैग जिला छी। प्रयागराज सहर एहि जिलाक मुख्यालय आर उत्तर भारतक प्रमुख सहर छी । सन् २०११ क तथ्याङ्क अनुसार इलाहाबाद जिला ८ तहसील आर २० ब्लकमे बिभाजित अछि। इलाहाबाद मण्डलमे तीन जिलासभ छी - इलाहाबाद, फतेहपुर आर कौशाम्बी । कौशाम्बी पहिलक समयमे इलाहाबादक पच्छिमी हिस्सा छल ।

प्रयागराज जिला तीन प्राकृतिक भागमे बिभाजित अछि - गंगा नदीक उत्तर मे गङ्गापार, यमुना नदीक दक्षिणमे यमुनापार आर दुनोक बीचमे दोआबा क्षेत्र । इलाहाबाद सहरमे गंगा आर यमुनाक विश्व प्रसिद्ध सङ्गम अछि । इलाहाबाद एकटा प्रमुख शिक्षा केन्द्र छी आ इलाहाबाद विश्वविद्यालय आर मोतीलाल नेहरू इन्जिनियरिङ कलेज एहि ठामक प्रमुख शिक्षा संस्थान छी ।

जनसाङ्ख्यिकी[सम्पादन करी]

भारतक सन् २०११ क जनगणना अनुसार इलाहाबाद जिलाक कूल जनसङ्ख्या ५९,५९,७९८ छी ।[१] इलाहाबाद उत्तर प्रदेशक सभसँ बेसी जनसंख्या वाला जिला अछि ।[१]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ "District Census 2011"। Census2011.co.in। 2011। अन्तिम पहुँच 2011-09-30

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

निर्देशाङ्क: २५°२७′उ॰ ८१°५१′पू॰ / २५.४५०°N ८१.८५०°E / 25.450; 81.850